एनपिएलः चितवनद्वारा लुम्बिनीकेँ १४३ रनके लक्ष्य
काठमाण्डू, ४ अगहनः नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)अन्तर्गत आजुक खेलमे चितवन राइनोज लुम्बिनी लायन्स सामू १४३ रनके लक्ष्य प्रस्तुत केलक अइछ ।
त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट रङ्गशाला, कीर्तिपुरमे टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएल चितवन निर्धारित २० ओभरमे सात विकेटके क्षतिमे १४२ रन बनेलक । कूल ४३ रनमे तीन विकेट क्षति भेल छल। चितवनक लेल कप्तान कुशल मल्ल आ रवी बोपरा ४४ रनके साझेदारी कएने छल।
१५ दशमलव २ ओभरमे टिमके स्कोर ८७ भेलासँ कप्तान मल्ल व्यक्तिगत २१ रनमे आउट भेल । रवी वोपरा ६६ रनमे आउट भेल ।
एहिना देव खनाल १४, दीपक बोहरा १०, सैफ जैब १५, अर्जुन साउँद अविजित १५ आ शाहिल तनवीर पाँच रन बनेलक ।
बलिङमे लुम्बिनीक रुबेन ट्रम्पेलम्यान तीन विकेट,अभिषेश गौतम आ गुलबदिन नैब समान दू/दू विकेट लेलक । प्रतियोगितामे अपन पहिल खेल खेला रहल लुम्बिनी सुखद् सुरूआतके खोजीमे अइछ ।